महिला फुटबॉलर के संदेहास्पद स्थिति मे मौत, सासुर पक्ष पर प्रताड़नाक आरोप

    0
    242

    पटना, मिथिला मिरर: राजधानी पटना मे एकटा विवाहित महिला फुटबॉलर के संदेहास्पद परिस्थिति मे मौत भय गेल। घटना दीघा थाना क्षेत्रक शिवाजी नगर इलाका के अछि। अनिशा नामक विवाहिता के सासुर मे फंसरी पर झुलैत लहास भेटल अछि।

    अनिशा के परिजन अनिशा के सासुर पक्ष पर हत्या के आरोप लगा रहल छथि। अनिशा के पति नागपुर मे बैंक मैनेजर छथि। मृतका के परिजनक आरोप अछि जे, अनिशा के बराबर प्रताड़ित कायल जा रहल छल।घटनाक सूचना पर कोतवाली डीएसपी शिवली नोमानी के नेतृत्व मे पुलिसक टीम पहुँचि कय मामला के छानबीन मे जूटि गेल। एफएसएल टीम  सेहो मौका पर पहुंच गेल अछि आ संदेहास्पद मौतक अहि घटना के सुलझेबाक प्रयास कय रहल अछि।

    कोतवाली डीएसपी के अनुसार पुलिस परिजनक आरोप आ साक्ष्य के देखैत सब पहलू पर छानबीन कय रहल अछि। मृतका के बहिन के अनुसार ससुराल पक्ष अनिशा के प्रताड़ित करैत छल।