स्वच्छता अभियान के ठेंगा देखा रहल अछि लहेरियासराय’क डाकघर

    0
    591

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: दरभंगाक लहेरियासराय स्थित प्रधान डाकघर गंदगीक मामला मे कतहु सं पाछु नहि अछि। ग्राहकक लेल बनल काउंटरक समीप के देबाल पानक पित स रंगल अछि। बिल्डिंग के मुख्य प्रवेश द्वार स प्रवेश करैत समय पानक पित सं चित्रित दरवाजाक दर्शन होइत अछि आ अंदर जेबाक बाद नजारा देखि क लोक दांग रही जाइत अछि। अहि दिशा मे ने विभाग जागरूक अछि आ ने डाकघरक ग्राहक।

    राज्य सरकारक दफ्तरक बदहालीक बहुतो नमूना अछि मुदा केंद्र सरकारक महत्वपूर्ण विभाग लहेरियासराय प्रधान डाकघरक दुर्दशा देखि कय कियो कहत जे, दूनू सरकारक कार्य संस्कृति मे कोनो विशेष फर्क नहि। कार्यालयक कार्य संस्कृतिक बात करि त अहि कार्यालय मे चाहे ग्राहकक कतबो लंबा कतार कियैक ने हो, कार्य ओकरे पहिने होयत जाकर पहुंच कार्यालय मे अछि।

    प्रधान डाकघरक अहि दुर्दशा के देखि ग्राहक खिन्न भय जायत अछि। एक त डाकघरक कार्य संस्कृति स संतुष्टि नहि ऊपर स गंदगी देखि लोक प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदीक स्वच्छ भारत अभियानक का सपना पूरा होगा भी तो कैसे, जब उनके ही महत्वपूर्ण उपक्रम इसतरह के नमूने पेश कर रहे हों.