निजी शिक्षण संस्थान पर लागत ताला !

0
809

पटना, मिथिला मिरर : राज्यपाल सह कुलाधिपति श्री लालजी टंडन शिक्षाकेँ प्रति बहुत सख्त रुख अपना बैत कहलनि जे राजभवनकेँ आदेशक पालन आ निर्धारित समय सीमामे काज नै पूरा करय वला विश्वविद्यालय सभ पर कार्रवाई होयत। एतबे नहि नियम आ प्रावधानकेँ पालन नै करय बला उच्च शिक्षाक तमाम निजी संस्थान पर ताला लगा देनाय ज्यादा उचित रहत। सभ विश्वविद्यालय प्रशासन शैक्षणिक कैलेंडरकेँ मुताबिक पढौनी पूरा कराबैथ आ समय पर परीक्षा ल’ रिजल्ट प्रकाशित करैथ। पूर्वसँ लंबित पड़ल सभ परीक्षा तुरंत आयोजित क’ परीक्षाफल प्रकाशित करैथ। राज्यपाल महोदय इ बात 15 दिसम्बर शुक्रदिन राजभवनमे आयोजित कुलपति सभक बैठककेँ संबोधित करैत कहलाह।

राज्यपाल कहलाह जे यूनिवर्सिटी मैनेजमेंट इंफॉर्मेशन सिस्टम (यूएमआईएस) क क्रियान्वयन आगामी सत्रसँ होयत। जाहिकेँ लेल सभ विश्वविद्यालय जनवरी तक एजेंसीक निर्धारण क’ लैथ। यूएसआईएस क्रियान्वयनक लेल शिक्षा विभाग10 लाख रुपैया जारी केलक अछि। बैठककेँ संबोधित करैत राज्यपाल कहलाह जे जं सरकार नियमित वेतन आ सेवांत लाभक लेल राशि द’ देलक, त’ भुगतानमे देरी नै होयबाक चाही। पेंशन अदालत लगा सेवांत लाभक मामलाकेँ जल्दीसँ निष्पादन करु। बीएड कॉलेज सभमे शिक्षण आ उपस्थितिक निरीक्षण लगातार होयबाक चाही। राज्यपाल महोदय बायोमैट्रिक सिस्टम जनवरी 2019 तक बचल सभ शिक्षण संस्थानमे लागु करबाक आदेश देलनि अछि। राज्यपालक प्रधान सचिव विवेक कुमार सिंह गवर्नमेंट ई मार्केटप्लेसकेँ जरिये खरीददारी करबाक निर्देश देलनि अछि। राज्यपाल सचिवालयमे नवनियुक्त सलाहकार (उच्च शिक्षा) अर्थशास्त्री प्रो. आरसी सोबती कहलनि जे राज्यमे उच्च शिक्षामे सुधार प्रयासकेँ और बेसी तेज करबाक जरूरत छैक आ योजना सभकेँ कार्यान्वयन समय सीमाकेँ भीतर पूरा करब जरुरी अछि।

बीपीएससीसँ तय पात्रता पर गेस्ट फैकल्टीक नियुक्ति होयत
राज्यपाल कहलनि जे सभ वीसी संस्थान आ कोर्सक मान्यता लेल प्रस्ताव हर हालमे 15 जनवरी 2019 धरि राज्य सरकारकेँ भेज दैथ। विश्वविद्याल सभकेँ इहो देखबाक छनि जे मान्यता प्राप्तिक अनुशंसित कॉलेज निर्धारित मानक पर खरा उतरय वा नहि। विश्वविद्यालयकेँ इ बात सदिखन ध्यान रखबाक छनि जे आरक्षणक नियम आ बीपीएससी द्वारा निर्धारित पात्रताकेँ अनुरूप गेस्ट फैकल्टीक नियुक्ति जल्दसँ जल्द क’ लेबाक चाही जाहिसँ बच्चा सभक पढ़ाई बाधित नै होई। एहि मीटिंगक बाद सभ विश्वविद्यालयमे खलबली मचल अछि। बच्चा सभमे आशाक नव उम्मीद जागल अछि संगही छात्र सभकेँ सेशन सुचारू रुपें चलत एहन आश जागल अछि। मालूम होयत जे पछिला कतेकोँ सालसँ लगभग सभ विश्वविद्यालयक सेशन विलम्बसँ चलि रहल अछि, जाहि कारण विद्यार्थी सभकेँ अनेकों प्रकारक दिक्कतसँ दू-चारी होमय पड़ैत छनि।