‘चलू पुनौराधाम’ यात्राक शुभारम्भ केलनि सांसद प्रभात झा

    0
    327

    दिल्ली, मिथिला मिरर: वैदेही संस्था द्वारा आयोजित ‘यात्रा राजधानी सं संस्कारधानी तक’कें मंगलदिन राज्यसभा सांसद प्रभात झा आ पंजाब भाजपाक महामंत्री द्वारा झंडा देखा कए रवाना कएल गेल, अहिकेँ संग दिल्ली सं सीता माताक जन्मस्थली सीतामढ़ीकें पुनौराधामक यात्राकें विधिवत शुरुआत कएल गेल। ई यात्रा 2 मई कए दिल्ली सं शुरू भए लखनऊ गोरखपुर होईत मिथिला स्थित सीतामढ़ी पहुँचत आ फेर ओतए होबए वला 3 आ 4 मई कए सीता प्राकट्योत्सव समारोहमे भागीदारी करैत 5 मई कए दिल्ली वापसी करत।

    ज्ञात हो कि भगवान रामक जन्म दिवस पर 9 दिन तक एकटा महत्वपूर्ण त्योहारक रूपमे देश-विदेशमे धूमधाम सं रामनवमी मनाओल जाइत अछि, मुदा रामकें मर्यादा पुरुषोत्तम राम बनाबए वाली माता सीताक जन्मदिन एवं जन्मस्थलीक विषयमे बहुत कम लोक जनैत अछि। अहि बात पर ध्यान दैत वैदेही संस्था पिछला वर्ष सं दिल्लीमे माता जानकी जन्मोत्सव समारोह मनबैत अछि।

    एहिबेर माता जानकीक प्राकट्य दिवस वैशाख शुक्ल नवमी तिथि तदनुसार 04 मई 2017 कए अछि आ अहि उपलक्ष्यमे वैदेही द्वारा एकटा ऐहेन यात्रा आयोजित कएल गेल अछि जाहिमे देश आ दुनियामे माता सीताक जन्मदिन आ जन्मस्थानक विषयमे जानकारी पसरि सकए। यात्रामे विशेष रूप सं संतोष राठौड़, विमल जी मिश्र, कौशल किशोर, संजीव कुमार झा आ वैदेहीक संस्थापक अमर नाथ झाक सहयोग छन्हि।