नोटबंदी पर कांग्रेस आर-पार के मूड मे, महागठबंधन सं कांग्रेस के हटबाक आसार

    0
    260

    पटना, मिथिला मिरर: नोटबंदी पर कांग्रेस आर-पारक मूड मे लागि रहल अछि। बिहार प्रदेश कांग्रेस अध्यक्ष अशोक चौधरी  पार्टी आलाकमानक निर्देश पर बिहार मे कांग्रेस गठबंधन सरकार मे शामिल ,भेल अछि आ आलाकमानक आदेश पर कखनो गठबंधन तोड़ि सकैत अछि।

    नोटबंदीक खिलाफ सड़क पर उतरल कांग्रेस के कहब अछि जे, पार्टी आम जनताक मुश्किलक संग अछि। ओ कहलनि जे, कांग्रेस के कोनो फर्क नहि पड़ैत अछि जे कोन राजनीतिक दल संग अछि आ कोन विरोध मे। हमसब आलाकमानक निर्देश के अनुसरण करब।

    नोटबंदी के खिलाफ पाहिले दिन सं मुखर कांग्रेस पार्टी बुधदिन राजधानी पटना मे विरोध मार्च निकाललक। बिहारक महागठबंधन सरकार मे शामिल कांग्रेस कारगिल चौक स जेपी गोलंबर तक पोस्टर बैनरक संग सड़क पर उतरि कांग्रेसी नेता तथा कार्यकर्त्ता मोदी सरकारक खिलाफ जोरदार नारेबाजी केने छल।

    उम्हर, बीजेपी गठबंधन तोड़बाक कांग्रेसक धमकी पर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सं जवाब तलब केलक अछि। वरिष्ठ बीजेपी नेता नंद किशोर यादव कहलनि जे, बिहार मे सत्ताक कुर्सीक लेल नापाक गठबंधनक सरकार चलि रहल अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार के बताबय पड़तनि जे, ओ काला धन के मुद्दा पर ककर संग छथि।