शराबबंदी पर सर्वदलीय बैसक मे कानून संशोधनक संकेत

    0
    253

    पटना, मिथिला मिरर: बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार शराबबंदी कानूनक लेल संपन्न सर्वदलीय बैसक के दौरान प्रदेशक प्रमुख विपक्षी पार्टी भाजपा आ अन्य सहयोगी दल सहित विभिन्न पार्टीक राय जनबाक बाद कहलनि जे, अहि बैसक मे आ लोकसंवाद मे भेटल सुझाव पर कानूनविदक राय लेबाक जे प्रस्ताव होयत ओ सदन मे आनल जायत।

    बिहार विधानसभा पुस्तकालय मे शराबबंदी कानून पर सर्वदलीय बैसक मे भाजपा नीत राजग सहित अन्य दलक सदस्यक राय जनबाक बाद नीतीश कहलनि जे, बहुतो तरहक सुझाव आयल अछि। लोक संवाद मे सेहो सुझाव भेटल। बैसक आ लोक संवाद मे भेटल सुझाव पर कानूनविदक राय लेंबाक जे प्रस्ताव होयत वो सदन मे आनल जायत।

    शराबबंदी कानून पर अहि सर्वदलीय बैसक के अध्यक्षता करैत अप्पन संबोधन मे नीतीश कहलनि जे, बिहार विधानसभा एवं बिहार विधान परिषद मे 2015 के उत्पाद अधिनियम में संशोधनक विधेयक सर्वसम्मति से पारित भेल छल। गत एक अप्रैल तथा पांच अप्रैल क दू टा अधिसूचना निर्गत भेल तथा बिहार मे पूर्ण शराबबंदी लागू भय गेल। शराबबंदी के व्यापक जन समर्थन भेटल आ कतिपय मामला मे कानूनक प्रावधान के अनुसार कार्रवाई सेहो भेल।

    ओ कहलनि जे, एकटा बात त स्पष्ट अछि जे, सब पार्टी शराबबंदीक पक्षधर अछि। ई सबहक सहभागिता स संभव अछि। अप्पन समाज मे दूनू चीजक जरुरत। अछि जन चेतना तथा जन समर्थन आ कानूनक सख्तीक लेल दूनू आवश्यक अछि। शराबबंदी के मुहिम पर सबके गौर करय पड़त। ओ कहलनि जे, लोकतंत्र मे चर्चा सब सं नीक बात अछि।