भोरका अर्घ सं वापसी के दौरान पाँच गोटेक ट्रेनक चपेट मे एला सं मौत

    0
    410
    बताओल जा रहल अछि जे, महिला छैठ घाट सं पूजा कय वापस आबि रहल छली। अहि क्रम मे ट्रेन टक्कर मारलक। सूत्रक अनुसार तीन महिला एवं दू टा बच्चा समेत कुल पांच लोकक मौत नई दिल्ली सं जयनगर आबि रहल स्वतंत्रता सेनानी एक्सप्रेस के चपेट मे एबाक कारने भेल। घटना सं आक्रोशित लोक रेलवे ट्रैक पर लहास राखि कय रेल लाइन के जाम कय देलक अछि।
    स्थानीय लोक रेलवे के लापरवाही सं भेल मौत पर उचित मुआवजाक मांग की रहल छथि। जानकारी के अनुसार सोमदिन भोर मे समस्तीपुर के रामभद्रपुर स्टेशन के समीप रेल ट्रैक सं सटल पोखरि पर छैठ व्रतिक भारी भीड़ छल। अहि बातक जानकारी रेल व जिला प्रशासन के सेहो अछि। मुदा दुनु दिस सं सुरक्षा मानला मे अनदेखी कायल गेल।
    बताओल जा रहल अछि जे, एतेक भीड़ हेबाक बावजूद ट्रेनक ड्राइवर सायरन नहि बजेलक। अहि बीच व्रत के उत्साह मे महिला के ट्रेन एबाक भनक तक नहि लगलनि। घटना के बाद छैठ व्रति ट्रेनक परिचालन ठप कय देलनि।