बाल-बाल बचलाह केंद्रीय मंत्री राजीव प्रताप रुडी

    0
    266

    सारण, मिथिला मिरर: बिहार के सारण जिलाक दौरा पर पहुचल केंद्रीय मंत्री राजीव प्रताप रुडी के गाड़ी रविदिन गड़खाक समीप हुनके काफिलाक एकटा गाड़ी स टकरा गेल। हालांकि अहि हादसा मे रुडी बाल-बाल बचि गेलाह मुदा हुनकर गाड़ी पूर्णरूप सं क्षतिग्रस्त भय गेलनि। हादसा मे रूडी के मामूली चोट लागल छन्हि मुदा ओ सुरक्षित छथि।

    हादसाक बाद भाजपा प्रदेश अध्यक्ष मंगल पांडेय केंद्रीय मंत्री रुडी सं फोन पर हालचाल पुछलनि। रूडी गड़खा मे तिरंगा यात्रा मे हिस्सा लेबाक लेल आयल छलाह।

    अहि सं पहिने शनिदिन सेहो रूडी रिविलगंजक समीप बाढ़ि मे फसि गेल छलाह, जतय सं सुरक्षाकर्मी द्वरा हुनका सुरक्षित निकालल गेल छल। रविदिन केंद्रीय मंत्री के अप्पन संसदीय क्षेत्र मे बहुतो कार्यक्रम मे हिस्सा लेबाक छन्हि।