जवान’क लहास पहुँचतहि पोखरौनी गाममे मातम

    0
    284

    मधुबनी, मिथिला मिरर: रहिका थाना क्षेत्रक पोखरौनी गांव निवासी दुखन ठाकुरकें पुत्र आ असम राइफल्स 37 बटालियनकें जवान रामदेव ठाकुर’क लहास पहुंचतहिं गाममे मातम पसरि गेल। मृतकके भाई आरबी ठाकुर जे, असम राइफल्सके जवान छथि ओ कहलनि जे, फोन पर बात भेल छल जाहिमे इलाज करेबाक बात कहने छल। अहि कारण ओ हमर बेटाक बियाहमे सेहो नहि आएल छल। होलीक़े दिन करीब 6 बजे साँझमे कमांडेंट फोन पर सूचना देलनि जे, अहाँक भाई आत्महत्या क लेलक।

    ओ कहलनि जे, हालांकि 11 मार्च कए ओ इलाज कराकय अप्पन ड्यूटी कैंप मणिपुरके सिलचरके हाफलुंग गेल छल। मार्चमे छुट्टी सेहो स्वीकृत भेल छल मुदा होलीक कारण ओ नहि आबि सकल आ साँझमे अहि तरहक तरहक घटनाक खबरि भेटल।

    बताओल जा रहल अछि जे, मानसिक रूप सं ओ बीमार छल जकर इलाज चलि रहल छल। ओतहि मृतककें पत्नी अन्नू देवी कहलनि जे, हुनका कोनो तरहक मानसिक तनाव नहि छल। जवानकें तीनटा पुत्री आ एकटा पुत्र अछि। ककरो एखन धरि बियाह नहि भेल छल। लहासक संग असम राइफल्सके जवान दिनेश यादव आएल छलाह।