स्पेनकें टोलेडोमे लाइफटाईम अचिवमेंट सम्मान सं सम्मानित हेताह डॉ. सी पी ठाकुर

    0
    261

    दिल्ली, मिथिला मिरर: पूर्व केंद्रीय मंत्री डॉ. सीपी ठाकुरकें स्पेनकें टोलेडोमे डब्लूएचओ जेनेबाकेँ तत्वावधानमे वर्डलिस-6 कांग्रेस ऑर्गेनाइजेशन कमिटी द्वारा आयोजित अंतर्राष्ट्रीय कॉन्फ्रेंसमे लाइफ टाइम अचीवमेंट सम्मान सं सम्मानित कएल जाएत। अहि समारोहक आयोजन 16 मई सं 20 मई धरि भए रहल अछि। डॉ. ठकुरकें कालाजारकें क्षेत्रमे अहम योगदानक लेल ई सम्मान देल जा रहल अछि।

    लिसमानिया साइंटिफिक कमिटी डॉ. ठकुर द्वारा कालाजार बीमारीकें रोकबा तथा शोध सं संबंधित विषयमे वर्ल्ड कांग्रेसमे भाग लए रहल लोककें तकनिकी जानकारी दैत पांच दिवसीय कार्यशालामे भाग लेबाक लेल आमंत्रित केलक अछि। डॉ. ठाकुर पहिल मेडिकल साइंटिस्ट छथि जिनका ई सम्मान देल जा रहल अछि।

    वर्डलिस-6 कें चेयरमैन जार्ज अल्वरकें अनुसार अहि पांच दिवसीय कार्यशालामे Expression and signal transduction in Leishmaniasis, The present and future of VL treatment, Sand-fly Leishmania interactions, Molecular basis on virulence and tropism, Quantitative studies of Leishmaniasis transmission and control, Leishmaniasis vaccine pipeline, Challenges on implementation and development of clinical trials, New tools for control सहित बहुतो महत्वपूर्ण विषय पर चर्चा कएल जाएत।

    अहि कॉन्फ्रेंस सं पूर्व डॉ. ठाकुर कुबैतमे मौर्य कला परिषद् द्वारा आयोजित सांस्कृतिक कार्यक्रम तथा कला उत्सवमे भाग लेताह। अहिकें अलावा ओ इटली आ फ्रांसमे आयोजित विभिन्न कार्यक्रममे सेहो हिस्सा लेताह।