मिथिलाक अनूपम पाविन जूड़शीतल पर मणि विशेष ‘जूड़ायल रहू’

    0
    342

    नैन जूड़ाय छल
    मन जूड़ाय छल
    जूड़ा जाइत छल चानि
    कोना जियायब
    अपन संस्कृति
    पीबा लेल नहि पानि
    गाछक जड़ि मे
    पानि पटै छल
    तुलसी चौरा घैल
    कीचेन गार्डेन
    बनि रहलै आब
    गमला फैशन गेल चैल
    धूरा माँटि कोना
    कय लागत
    गाड़ियो एसी भेल
    कादो लेपब सपना भेलै
    केस मोकदमा जेल
    होइछल शिकार
    पहिने खड़िया के
    दौरय छल
    गामक गाम
    उपटल जंगल
    गाछी विरछी
    के चुबबै आब घाम
    बसिया बड़ी
    भात चलै छल
    आमक चटनी संग
    से फ्रिजक बसिया
    खाइत खाइत लोक
    भय गेल अछि तंग
    अजुका दिन मे
    पहिने होइ छल
    झाड़ू बाढ़नि के विश्राम
    अखन टाइल्स पर
    जँ पोछा नहि लागय
    बुझू विधाता बाम
    पर्यावर्णक संरक्षण हित
    अछि ई पाबनि चलल
    मणिकांतक अछि
    एक निहोरा
    सदा रहय ई बनल ।।
    मणिकांत झा, दरभंगा