राम नवमीं पर मणिकांत झा केर लिखल विशेष प्रस्तुति ‘पाहुन राम’

    0
    315

    मधु के नवमी शुक्ल पक्ष
    जन्म लेलनि श्री राम
    अवध नगर मे शोर भेल
    बनल अयोध्या धाम
    हर्षित माता कौशल्या जी
    दशरथ पूरल मनकाम
    भगवानक अवतार कहेलहुँ
    जग भरि पसरल नाम
    जनकपुर मे जनकलली केर
    लागल छल स्वयंवर
    मुनि वशिष्ठ जी संगे अयलहुँ
    स्वयं वर बनि रधुवर
    धनुष उठाओल महादेव केर
    जनकक पूरल आश
    सीतारामक मधुर मिलन भेल
    रावण रहल उपास
    गर मे माला पुरूषोत्तम के
    देलनि दाइ किशोरी
    माय सुनैना परिछनि कैलनि
    आरती चंदन संग रोड़ी
    मिथिला धिया अवध मे गेली
    नहिरा भेल उदास
    ओत्तहु मंथरा केकइ चालिए
    भेलनि वन मे वास
    सोन मृगा संग ऐल दशानन
    हरण कयल वैदेही
    हनुमत लछुमन संगे पाहुन
    लंकाक उतारल ठेही
    मर्यादा पुरुषोत्तम बनलो पर
    भूमिजा संग नहि न्याय
    धरतीक धिया धरती तर मणि
    जाकय गेली समाय ।।
    मणिकांत झा, दरभंगा