उत्कृष्ट सांसद पुरस्कारसँ सम्मानित भेलाह सांसद हुकुमदेव नारायण यादव

0
567

नई दिल्ली, मिथिला मिरर : भारतक  राष्ट्रपति श्री राम नाथ कोबिंद संसद भवनक केन्द्रीयकक्षमे आयोजित समारोहमे सांसद हुकुमदेव नारायण यादव सहित चारिटा अन्य सांसदकेँ उत्कृष्ट सांसद पुरस्कारसँ सम्मानित केलाह। हुकुमदेव नारायण यादवके साल २०१४क लेल उत्कृष्ट सांसद पुरस्कारसँ सम्मानित कएल  गेलनि। एहि सम्मान समारोहमे माननीय राष्ट्रपति, माननीय उप राष्ट्रपति, राज्य सभाक सभापति श्री एम. वेंकैया नायडू, माननीय प्रधानमंत्री श्री नरेंद्र मोदी सेहो उपस्थित छलाह। सभ सम्मानीय सभाकेँ सम्बोधित सेहो केलाह। श्री हुकुमदेव नारायण यादवक मृदुल भाषा-शैली, भाषाणक अंदाज आ संसदीय चर्चामे हुनक धारदार तर्कके सराहना करैत  लोकसभा अध्यक्ष श्रीमती सुमित्रा महाजन कहलनि जे  श्री यादव एकटा समर्पित आ लोकप्रिय नेता छथि  जे अपन सशक्त वक्तृत्व कलासँ आम आदमीकेँ सरोकारसँ  मुखातिर करबैत रहैत छथि। उत्कृष्ट सांसद पुरस्कार एकटा एहन सम्मान होइत अछि जे  संसदीय प्रणालीमे सकारात्मक योगदान, सभाक गरिमा आ अनुकरणीय दृष्टांत प्रस्तुत करयबला सांसदकेँ  देल जाइत छनि। सर्वप्रथम वर्ष 1992मे पंडित गोविंद बल्लभ पंत मेमोरियल सोसायटी, संसदीय लोकतंत्रमे अनुकरणीय सेवा प्रदान करयबला सांसदके  सम्मानित करबाक पहल कएने  छल । भारतीय संसदीय ग्रुप वर्ष 1995सँ सभ साल एकटा वर्तमान सांसदके उत्कृष्ट सांसद पुरस्कार प्रदान करबाक शुरुआत केलक। ई पुरस्कार समितिक सिफारिश आ भारतीय संसदीय कार्यकारी समितिक अनुमोदनसँ  देल जाइत  अछि। पुरस्कार लेल चयनित भेलापर श्री हुकुममदेव नारायण यादव भारतीय संसदीय ग्रुपकेँ  धन्यवाद ज्ञापित केलाह।