इंटरकें बाद आब आठव’म वर्गक कॉपी मूल्यांकनक बहिष्कार

    0
    272

    दरभंगा, मिथिला मिरर: समान काजक लेल समान वेतन’क मांग आब जोर पकडऩे जा रहल अछि। विभिन्न शिक्षक संघ अपन मांगक पूर्तिक लेल अलग अलग कार्यक्रम तय केलक अछि। माध्यमिक शिक्षक एवं वित्त रहित शिक्षा कर्मी पहिने सं इंटरक कापीक मूल्यांकनक बहिष्कार कए रहल अछि। आब नगर प्रारंभिक शिक्षक सोमदिन सं पहिल सं आठम कक्षाके होबय वला मूल्यांकनक बहिष्कार करबाक निर्णय लेलक अछि।

    ओतहि राज्य प्रारंभिक शिक्षक 17 अप्रैल सं अनिश्चित कालीन हड़तालक घोषणा केलक अछि। रविदिन शिक्षक संघक विभिन्न कार्यालयमे दिन भरि बैसकक दौड़ चलल। राज्य प्रारंभिक शिक्षक संघके मदारपुर स्थित कार्यालयमे शंभू यादवक अध्यक्षतामे बैसक भेल। ओ कहलनि जे, सरकारक शिक्षा एवं शिक्षक विरोधी नीतिके कारण शिक्षाक स्तर खराप भेल अछि।

    ओ कहलनि जे, सर्वोच्च न्यायालयके आदेशक बादो शिक्षककें जायज मांग समान काजक समान वेतनकें सरकार अनदेखी कय रहल अछि। बहुत बेर राज्य संघक प्रतिनिधि उप मुख्यमंत्री एवं शिक्षा मंत्री सं भेंट कए वार्ता केलनि, तकर बादो समाधान नहि निकलल।