पप्पू यादव कहलनि एक सप्ताहमे समाप्त कए देब बिहार सं माफिया राज

    0
    277

    पटना, मिथिला मिरर: जन अधिकार पार्टीक अध्यक्ष आ मधेपुरा से सांसद पप्पू यादव मुख्यमंत्री नीतीश कुमारकें चुनौती देलनि अछि। हाजीपुरमे रविदिन ओ कहलनि जे, यदि नीतीश कुमार एक सप्ताहक लेल गद्दी छोड़ि देथि त हम बिहारमे माफिया राज आ अपराधकें समाप्त कए देब, नहि त आजीवन राजनीति सं सन्यास लए लेब।

    संगहि ओ माटि घोटालाक लए राजद सुप्रीमो लालू प्रसाद पर सेहो निशाना सधलनि आ लालूक संपत्तिक उच्चस्तरीय जांचक मांग केलनि।

    गौरतलब अछि जे, मधेपुरा सं सांसद पप्पू यादव लगातार सरकारक नीतिक निंदा करैत रहल छथि। हालहिमे 21 अप्रैल कए बेउर जेल सं रिहा भेलाक बाद ओ लालू आ नीतीश पर जमिकए हमला केलनि।