संस्कार महोत्सवमे कराओल गेल 111 बच्चाक उपनयन

    0
    286

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: चाणक्य विद्यापति सोसाइटी दिस सं रविदिन मालीघाट स्थित बीएमपी-6 दुर्गा मंदिर परिसरमे आयोजित संस्कार महोत्सवमे 111 गोट बच्चाकेँ जनेऊ धारण कराओल गेल। अतिथि सब कहलनि जे, ई ऐतिहासिक पहल अछि, आर्थिक बचतकें संग एक संग एक पांतिमे बैसिकय जनेऊ कराओल जा रहल अछि। तीन साल सं लगातार सनातन समाजके बच्चाक सामूहिक जनेऊ कराओल जा रहल अछि।

    यज्ञमे शामिल हेबाक लेल आएल मनीष कुमार, शोभा देवी, मोनू देवी कहलनि जे, एतेक निक समारोह त घर पर नहि पार लगैत अछि। एक संग एतेक गण्यमान्य जुटल छथि। अहि अवसर पर शिक्षाविद् प्रो. शशिकांत पाठक संपादित स्मारिका संस्कारक विमोचन कएल गेल। उपनयनके बाद बरुआ सबके जनप्रतिनिधि सब आशीर्वाद देलनि।

    अहि अवसर पर भाजपाक राष्ट्रीय उपाध्यक्ष व सांसद प्रभात झा, सांसद अजय निषाद, विधानसभामे नेता प्रतिपक्ष डॉ. प्रेम कुमार, विधान पार्षद देवेशचंद्र ठाकुर, कुढ़नी विधायक केदार प्रसाद गुप्ता, बोचहां विधायक बेबी कुमारी, भाजपा जिलाध्यक्ष पूर्व विधायक रामसूरत राय, पूर्व विधायक वीणा देवी, पूर्व मंत्री रमई राम, जिप अध्यक्ष इंद्रा देवी, बैकुंठपुर विधायक मिथिलेश तिवारी व सनातन ब्राह्मण समाजके अध्यक्ष अवधेश पांडेय, बिहार रेडक्रॉस सोसाइटी उपाध्यक्ष उदयशंकर सिंह, पूर्व विधायक केदार प्रसाद, डॉ. भगवानलाल सहनी सहित बहुतो राजनीतिक आ सामाजिक लोक पहुंचल छलाह।