कटिहारमे सेक्स रैकेटक भंडाफोड़, दू गोट महिला सहित 5 गिरफ्तार

    0
    325

    कटिहार, मिथिला मिरर: बिहारक कटिहारमे सेक्स रैकेटक भंडाफोड़ भेल अछि। पुलिस दू टा महिला सहित तीन पुरुषकें नगर थाना क्षेत्रक विनोदपुर सँ गिरफ्तार केलक अछि। पुलिसकें गुप्त सूचना भेटल छल जे, अहि इलाकामे बहुत दिन सँ देह-व्यपारक धंधा चलि रहल अछि। जाहिकेँ बाद रविदिन जहन छापेमारी भेल त पुलिस बंगाल सँ आएल एकटा महिलाक संग तीन पुरुषकें आपत्तिजनक स्थितिमे गिरफ्तार केलक।

    जानकारीक अनुसार, ई सब इंजनीयिर रामेश्वर चौधरीक किराया पर मकान लए अहि धंधेक अंजाम दए रहल छल। विनोदपुर कटिहारक पॉश इलाका मानल जाइत अछि, मौका सँ शराबक बोलत आ नगद सेहो बरामद कएल गेल अछि।

    गिरफ्तार महिला पश्चिम बंगालक मालदाक रहय वाली अछि। अहि महिलाक अलावा एकटा और स्थानीय महिलाकें गिरफ्तार कएल गेल अछि। एक साल पहिने सेहो कटिहारक विजय नगर सैक्स रैकेटक भंडाफोड़ कएल गेल छल।