बिहारमे चापाकल सँ निकलल तेल, लोक हैरान

    0
    371

    नवादा, मिथिला मिरर: बिहारक नवादा जिलाक रोह बाजारक एकटा घरमे चापाकल सँ तेल निकलबाक मामला प्रकाशमे आएल अछि। चापाकल सँ निकलय वला तेल डीजल अछि आ कि मटियाटेल ी एखन धरि स्पष्ट नहि भेल अछि। चापाकल निरंजन सिंहक निर्माणाधीन मकानमे गड़ाओल अछि।

    निरंजन के अनुसार करीब 20 दिन सँ चापाकल सँ तेल निकलि रहल अछि। अहि तेलमे कपडाक टुकड़ा भिजाकए जरेलापर ओ जरैत अछि। प्रतिदिन चापाकल चलेला पर 5-6 लीटर तेल निकलैत अछि। अहिकेँ बाद धीरे-धीरे पानि निकलय लगैत अछि। मुदा पानिमे तलाक गंध रहला सँ पीबय जोगार नहि रहैत अछि।

    निरंजन के अनुसार चापाकल सँ निकलल तेल सँ इंजन चलाकय सेहो देखल जा चुकल अछि। ओतहि निरंजनके पडोसी अनिल सिंहक चापाकलक पानिमे सेहो तेलक गंध आबि रहल अछि। अहि घटनाक बाद स्थानीय लोग हैरान अछि। हालांकि निरंजनके मकान सँ किछु दूरी पर पेट्रोल पंप अच्छी, मुदा पंप कर्मी तेल टंकीमे लीकेजक बात सँ इंकार केलक अछि।