राजेंद्र प्रसाद केंद्रीय विश्वविद्यालय मे आब होयत डिजिटल कक्षा’क संचालन

    0
    255

    समस्तीपुर। राजेंद्र प्रसाद केंद्रीय विश्वविद्यालय बनलाक बाद सं सब क्षेत्र मे परिवर्तन भय रहल अछि। एक दिस जतय विश्वविद्यालय परिसर के स्पेशल लूक देल जा रहल अछि, ओतहि कक्षा के स्मार्ट बनेबाक कवायद सेहो तेज़ भय गेल अछि। शैक्षणिक व्यवस्था के हाइटेक बनेबाक लेल कक्षा के सौंदर्यीकरणक संग-संग नवीनतम तकनीक डिजिटल स्मार्ट पोडियम लगेबाक काज प्रारंभ भय गेल अछि।

    आब विश्वविद्यालय के छात्र अहि पोडियम के माध्यम स शिक्षा ग्रहण कय सकत आ शिक्षक सेहो पोडियमक माध्यम स छात्र के शिक्षा देताह। वर्तमान मे विश्वविद्यालयक 25 कक्षा मे पोडियम लगाओल जा रहल अछि। अहिके लगबाक सूचना सँ छात्र मे काफी उत्सुकता बनल अछि।