बिहारक 38 जिलाक लेल चुनावी विवरण जारी, देखू कहिया होयत कोन जिला मे मतदान

0
2274

पटना, मिथिला मिरर : बिहार मे चुनावी बिगुल बाजी चुकल अछि। चुनाव आयोग चुनावक तारीख केँ ऐलान शुक्रदिन क’ देलक। बिहारक 38 जिला मे 243 विधानसभा सीट पर तीन चरण मे मतदान कराओल जायत। चुनाव आयुक्त सुनील अरोड़ा घोषणा करैत कहलनि जे कोरोना काल मे पहिल चुनाव बिहार मे कराओल जायत। आयोग लेल सेहो एकटा पैघ चुनौती अछि जे एहि काल मे नीक सँ कोना चुनाव संपन्न होयत। जनतब दी जे दुनियाँक करीब 70 देश मे कोरोना केँ चलते चुनाव स्थगित क’ देल गेल अछि। चुनाव आयोग द्वारा जारी अधिसूचना केँ मुताबिक पहिल चरण मे 16 जिलाक 71 विधानसभा क्षेत्र मे, दोसर चरण मे 17 जिलाक 94 विधानसभा सीट आ अंतिम चरण मे 15 जिलाक 78 सीट पर मतदान कराओल जायत।

चुनाव आयोग जानकारी देलनि जे पहिल चरण मे पटना, भोजपुर, बक्सर, भागलपुर, बांका, मुंगेर, लखीसराय, शेखपुरा, जमुई, खगड़िया, बेगूसराय, पूर्णिया, अररिया, किशनगंज और कटिहार जिला मे चुनाव होयत। जाहि लेल 1 अक्टूबर केँ नोटिफिकेशन जारी कएल जायत आ 12 अक्टूबर धरि नामांकन वापिस लेल जा सकैत अछि आओर  28 केँ मतदान होयत।

ओतहि दोसर चरण मे 17 जिलाक 94 सीट पर चुनाव कराओल जायत। दोसर चरण केँ जिला अछि पटना मुजफ्फरपुर, सीतामढी, शिवहर, पश्चिमी चंपाण, पूर्वी चंपारण, वैशाली, दरभंगा, मधुबनी, समस्तीपुर, सहरसा, सुपौल और मधेपुरा। एहि जिला मे होई वला चुनाव लेल 9 अक्टूबर क’ अधिसूचना जारी कएल जायत आ नामांकन वापसीक अंतिम तिथि 19 अक्टूबर होयत। आ एहि सभ सीट पर 3 नवंबर क’ चुनाव होयत।

तेसर चरण मे जहानाबाद, अरवल, नवादा, औरंगाबाद, कैमूर आ रोहतास आओर दोसर जिलाक किछु सीट जाहि पर चुनाव नहि भेल होयत ताहि के 78 सीट पर चुनाव होयत। जाहि लेल 13 अक्टूबर क’ अधिसूचना जारी कएल जायत आ 23 अक्टूबर धरि नामांकन वापिस लेल जा सकैत अछि। एहि सभ सीट पर 7 नवंबर केँ मतदान होयत।

बतादी जे किछु जिला मे दू चरण मे सेहो मतदान कराओल जायत। कोरोना काल मे होमय वला चुनाव मे चुनावी जनसभा करबाक छुट नहि देल गेल अछि। वर्चुअल माध्यम सँ चुनाव प्रचार कएल जायत। सोशल मीडिया पर सेहो चुनाव आयोग केँ नजरि रहत। आपराधिक मामला केँ जानकारी उम्मीदवार केँ विज्ञापनक माध्यम सँ देबय पड़तनि।  एहिबेर करीब साढ़े सात करोड़ सँ बेसी मतदाता अपन मताधिकारक प्रयोग करताह।