विपक्ष पर जनता केँ नहि छनि विश्वास, सुशांत आ कंगना कोनो चुनावी मुद्दा नहि : देवेंद्र फड़णवीस

0
557

पटना, मिथिला मिरर : बिहार मे जेना-जेना चुनावक समय नजदीक आबि रहल अछि राजनीतिक गहमागहमी बढ़ल जा रहल अछि। अखनि आधिकारक रुपेँ चुनावी बिगुल त’ नै बाजल  अछि। मुदा राजनीतिक दल सभ चुनावी हुंकार भरि रहल अछि। अखनि बिहार भाजपा केँ चुनाव प्रभारी देवेन्द्र फड़णवीस बिहार मे छथि आ लगातार चुनावी कार्यक्रम केँ तहत बैसार क’ रहल  छथि। सोमदिन सेहो गया आ कटिहार केँ दौरा कएलाह। गया मे भाजपा कार्यकर्ता लोकनि केँ संबोधित  करैत कहलाह जे विपक्ष पर जनता केँ विश्वास नहि छैक। एहन मे एनडीए दू तिहाई सँ बेसी सीट जीतत। घटक दल केँ बीच चलि रहल संग्राम पर पूर्ण विराम लागी चुकल अछि। जल्दिए सीटक बंटबारा सेहो हेबाक संभावना अछि। एहन मे जी जान सँ चुनाव मे अपन बात जनता धरि पहुँचेबाक अछि। नीतीश कुमारक चेहरा पर चुनाव लड़ल जायत ई स्पष्ट अछि।

ओतहि कटिहार मे सेहो कार्यकर्ता लोकनि सँ बात कएलाह। हुनका लोकनिक समस्या सेहो सुनलनि। तकरा बाद मीडिया सँ बात करैत कहलाह जे बिहार मे एनडीए केँ पक्ष मे हवा छैक आ फेर एकबेर सरकार बनाओत। नीतीश कुमार और सुशील मोदीक जोड़ी नीक काज क’ रहल अछि। मीडिया द्वारा सवाल कएला पर की चुनाव मे सुशांत मुद्दा रहत त’ कहलनि सुशांत कोनो चुनावी मुद्दा नै अछि। ओ बिहारक बेटा छलाह उनका न्याय भेटय धरि हमसभ आवाज उठबैत रहब। ओतहि कंगना केँ सवाल पर साफ कहलनि जे मोदी हमर सभक स्टार प्रचारक छथि। हुनका अलावे बहुत नेता छथि। कंगना सँ प्रचार करेबाक कोनो औचित्य नहि। एकर दूर-दूर तक संभावना नही अछि।