बिहार विधानमंडल’क बजट सत्र आय सं, 27 फरवरी कय आओत बजट

    0
    231

    पटना, मिथिला मिरर: बिहार विधान मंडलकें बजट सत्रक शुरुआत आय सं भय जाएत। विधानमंडलक बैसक बृहस्पति दिन शुरू होयत। विधान मंडल दलक दुनू सदनकें राज्यपाल राम नाथ कोविंद दिनक साढ़े ग्यारह बजे सम्बोधित करताह। बृहस्पति दिन विधान सभा आ विधान परिषदमे अभिभाषणकें बाद आर्थिक सर्वेक्षण आ शोक प्रस्ताव आनय जाएत, अहिकें संग सदनक कार्यवाही 26 फरवरी धरि स्थगित भय जाएत। सदनमे 27 फरवरी कय बजट आनल जाएत जहन कि राज्यपालकें अभिभाषण पर सरकार 28 फरवरी कय उत्तर देत।

    अहिके बाद एक आ दू मार्च कय बजट पर चर्चा होयत। वित्तीय वर्ष 2016-17कें आय-व्यय पर बहसकें संग गैर सरकारी संकल्प काज तीन मार्च कय होयत। तृतीय अनुपुरक व्यय पर सरकारक उत्तर आ विनियोग विधेयक 6 मार्च कय आओत। जहन कि सात सं दस मार्च धरि बजट पर चर्चा होयत। 11 मार्च सं 14 मार्च धरि विधान मंडलमे होलीक छुट्टी रहत। अहिके बाद फेर सं बजट पर चर्चा 15 मार्च सं 17 मार्च धरि होयत।