राजदेव हत्यायकांडमे सीबीआई दर्ज केलक 60 पन्नाक चार्जशीट

    0
    270

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: सिवानक पत्रकार राजदेव रंजन हत्याकांडकें आरोपी सोनू कुमार सोनीकें खिलाफ दायर चार्जशीट पर विशेष सीबीआइ अदालत संज्ञान लेलक अछि। कमिटमेंटके बाद दौरा सुपुर्दगी सेशन ट्रायलके लेल जिला जजकें न्यायालयमे पठा देलक अछि। अहि केसमे सोनू एकमात्र आरोपी अछि, जकरा खिलाफ सीबीआइ चार्जशीट दाखिल केलक अछि।

    60 पन्नाक चार्जशीटमे 51 साक्षी बनाओल गेल अछि। 13 मई कए भेल छल पत्रकारक हत्या। अहि घटनामे पत्रकारक़े परिजन राजदके पूर्व सांसद मोहम्मद शहाबुद्दीनकें सेहो आरोपी बनौलक अछि। पुलिस एखन धरि पांच शूटरकें गिरफ्तार कय चुकल अछि।

    जानकारीक अनुसार पुलिसकें पता चलल छल जे, लड्डन मियांके कहला पर राजदेवकें गोली मारल गेल छल। लड्डन मियां मोहम्मद शहाबुद्दीनक करीबी बताओल जाईत अछि। बादमे ओ सरेंडर कय देने छल। फिलहाल अहि केसक सीबीआइ जांच कय रहल अछि।