मुजफ्फरपुरमे तीन करोड़’क शराब जब्त, तीन गोटे गिरफ्तार

    0
    270

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: अहियापुर थाना क्षेत्रक जीरोमाइल सं पटना जा रहल एकटा मुर्गीक दाना लय जाए वला ट्रक सं एसटीएफकें टीम सोमदिन राति करीब तीन करोड़क विदेशी शराब बरामद केलक अछि, पुलिस शराबक संग तीन गोटेकेँ गिरफ्तार केलक अछि, जकरा सं पूछताछ कएल जा रहल अछि।

    जानकारीक अनुसार एनएच पर पुलिस जहन एकटा 10 पहिया ट्रक पर मुर्गी दाना लादल ट्रकक जांच केलक त हैरान रहि गेल। मुर्गी दानाक नीचाँ शराबक करीब एक हजार कार्टून नुकाकय राखल छल। जब्त शराबक कीमत तीन करोड़ सं अधिक बताओल जा रहल अछि।

    पूछताछके दौरान हिरासतमे लेल गेल ट्रक ड्राइवर आ खलासी बतौलक जे, शराब हरियाणा सं आनल जा रहल छल। अहि मामलामे चालक समेत तीन गोटेकेँ हिरासतमे लय पूछताछ कएल जा रहल अछि।