अस्पतालमे दवाई आ संसाधनक किल्लत बरकरार

    0
    265

    सीतामढ़ी, मिथिला मिरर: सरकारक तमाम कोशिशक बावजूद सीतामढ़ीक सरकारी अस्पतालमे दवाई आ संसाधनक किल्लत बरकरार अछि। कखनो-कखनो दवाई रहलाक बादो कर्मीके गैर विभागीय काजमे जेबाक कारने मरीजकें दवाई बाहर सं किनए पड़ैत अछि। पीएचसीमे कतहु व्यवस्था नीक त कतहु व्यवस्था व संसाधनक कमी मरीजक लेल परेशानीक कारण बनल अछि।

    ओपीडीमे चिकित्सक सब मरीजकें पुर्जा पर दवाई लिखि कय दैत अछि। अहीकेँ अलावा लिपिक, लेखापाल, आशा प्रबंधक, कंप्यूटर ऑपरेटर समेत अन्य कर्मी संबंधित कक्षमे काज त करैत अछि मुदा अस्पताल प्रबंधक कुर्सी खाली रहैत छथि। अस्पताल प्रबंधक मनोज कुमारक स्थानांतरण के बाद एतय अस्पताल प्रवंधनक नियुक्ति नहि भेल अछि। जनवरी सं सप्ताहमे दू दिनक लेल एतय ड्यूटी करबाक सिविल सर्जनकें निर्देश भेटल अछि।