मिथिला मिररक संपादककें अगुआईमे शुरू भेल पाग पहिर बाबा उगनाक रूद्राभिषेक आ श्रृंगार

    0
    333

    मधुबनी,भवानीपुर-मिथिला मिररः साउन मासक शुरूआत भए गेल अछि आ मिथिला सहित देश-विदेशक विभिन्न शिवालयमे पूजा-अर्चना हर्षोल्लासक संग चलि रहल अछि। एहनमे मिथिलाक प्रसिद्ध बाबा उग्रनाथ अर्थात उगनाक दरबारमे सोमदिन 25 जुलाई सं मिथिला मिररक संपादक ललित नारायण झा केर अगुआइमे मिथिलालोक पाग पहिर बाबा उगनाक रूद्राभिषेक आ बाबाक श्रृंगारक शुरूआत कैल गेल।
    आब प्रत्येक सोमवारी कऽ समस्त विद्वानजन पाग पहिर बाबाक रूद्राभिषेक करताह जखन कि प्रत्येक दिन बाबाक श्रृंगार मिथिलालोकक पाग पहिर शुरू भए गेल अछि। 25 जुलाई कऽ कांवरियाक एकटा जत्था पाग पहिर बाबाक दरबारमे पहुंचलाह जाहिमे किछु डाक बम छलाह त किछु कांवर बम आ किछु बाबाक चंद्रकूप सं जल लए बाबा कें अपर्ण केने छलाह।
    सोमदिन कैल गेल रूद्राभिषेक कें स्थानीय जनता सहित दूर-दूर सं आएल श्रद्धालु लोकनि बहुत बेसी पसंद केलाह। बाबाक रूद्राभिषेकमे कन्हैया पंडा, त्रिपुरारी पंडा, दिलीप पंडा, मुरारी पंडा, काली मंदिर मुख्य पुजारी अखिलेश जी, उदय पंडा, विजय पंडा, ठाकुर पंडा, मुरारी झा, ललित नारायण झा, सुमन जी झा आ रविन्द्र कुमार भाग लेलाह। पूजाक बाद समस्त विद्वानजन मिथिलालोक आ डाॅ. बीरबल झा केर अगुआइमे बनल नव स्वरूपक पागकें प्रशंसा करैत कहला जे कम सं कम ओ डर आब समाप्त भए गेल जाहिमे इ शंका रहैत छल जे पाग कहूं माथ सं खसि नहि पड़य।