दरभंगामे प्रधानमंत्री कौशल मेलाक उद्घाटन

    0
    482

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: दरभंगामे प्रधानमंत्री कौशल योजना केन्द्र आ कौशल मेलाक आयोजन कएल गेल। जकर उद्घाटन विधायक संजय सरावगी केलनि। अहि मौका पर पूर्व विधायक राम निवास प्रसाद, रेडक्रॉस सोसाइटीक सचिव मन मोहन सरावगी, आयुष सरावगी आदि उपस्थित छलाह।

    मौका संजय सरावगी कहलनि जे, प्रधानमंत्री कौशल योजना प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी द्वारा देल गेल पुरस्कार अछि, एकर लाभ युवाकें पूर्ण ईमानदारी आ मेहनतक संग उठेबाक चाही। अहि अवसर पर आशिष कुमार सिंह जानकारी देलनि जे, भारतके कौशल मेलाक मुख्य उद्देश्य अभ्यर्थीकें भारत सरकार द्वारा संचालित कौशल विकास योजना सं अवगत करनाइ अछि आ युवाकें अहि योजना सं जोड़बाक लेल प्रोत्साहित करब अछि।