डीएमसीएच मे महिलाक संग दुष्कर्म, आरोपी गिरफ्तार

    0
    303

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: दरभंगाक सब सं पैघ सरकारी अस्पताल डीएमसीएच मे बेटाक इलाज़ करेबाक लेल आयल महिलाक संग दुष्कर्म हेबाक घटना प्रकाश मे आयल अछि। पीड़ित महिला बलात्कारक आरोप अस्पतालक एकटा तथाकथित कर्मचारी (ड्रेसर) विपिन कुमार पर लगबैत महिला थाना मे प्राथमिकी दर्ज करौलक अछि। जाहि के बाद पुलिस आरोपी के गियाफ्तार कय लेलक अछि। पुलिस महिलाक मेडिकल टेस्ट करेबाक तैयारी मे अछि। एम्हर अस्पताल अधीक्षक आरोपी विपिन कुमार के अस्पतालक कर्मचारी नहि बता रहल अछि, जहन कि आरोपी अपना आप के अस्पतालक प्राइवेट ड्रेसर बता रहल अछि।

    महिला रोसड़ा के रहय वाली छथि, जे अप्पन बच्चाक इलाज़ करेबाक लेल पांच दिन पहिने दरभंगा अस्पताल पहुचल छल। पांच दिन धरि अस्पताल मे रहलाक बादो बच्चाक पैरक प्लास्टर नहि भेला सं महिला परेशान छल। आखिरकार बीतल राति आरोपी विपिन कुमार पीड़ित महिला के मदद के भरोसा देलक जकरा बाद जरुरी दवाई खरीदबाक नाम पर महिला के बहला फुसलाकय अस्पताल सं बाहर लय गेल आ अस्पताल सं 500 मीटरक दूरी पर एकटा निजी नर्सिंग होम मे लय जा पीड़िताक संग दुष्कर्म केलक।

    महिलाक हल्ला केलाक बाद अस्पतालक सुरक्षाकर्मी आ स्थानीय लोक आरोपी के मौक़ा पर पकड़ि लेलक, जाहि के बाद पुलिस के आरोपी  गिरफ्तार की मामला दर्ज कय अनुसंधान कय रहल अछि।