झंझारपुर-मधेपुर मुख्य सड़क पर प्रदर्शन, घंटो जाम

    0
    421

    मधुबनी, मिथिला मिरर-पारस कुमार ठाकुर: झंझारपुर स मधेपुर जाय बला मुख्य सड़क के पचाहि गामक लोक सब बुधदिन भोरे पचाहि चौकक समीप जाम कय देलनि। ग्रामीण विभिन्न तरहक पेंसन नहि भेटला सं तथा गाम मे बिजली तथा सड़क के समस्या सं परेशान भय सड़क पर उतरल छलाह। ग्रामीणक अनुसार गामक मुखिया के बहुतो बेर अहि बात के लेल कहल गेल मुदा मुखिया सुनय के नाम नहि लय रहल अछि। कतेको बेर ग्रामीण प्रखंड कार्यालय धरि समस्याक समाधान के लेल गेलाह मुदा ओतय सं भगा देल जाइत छथि।

    सूत्रक अनुसार जामक कनो पूर्व सूचना प्रसाशन के नहि देल गेल छल। दूनू दिस वाहनक पैघ कतार लागल छल। जाम स्थल पर पहुँचलाक बाद बी.डी.ओ. मिथिलेश प्रसाद के प्रथम प्रयास मे जाम स्थल स भागि जाय पड़लनि। करीब 3 घंटा तक चलल एहि जाम के कारण लोक के बहुत परेशानी भेलनि।

    बाद मे मधेपुर थानाध्यक्ष रामाशीष कामत, सी.ओ के प्रयास स जाम के हटाओल जा सकल। प्रशासन 20 दिन के अंदर समस्या के दूर करबाक आश्वासन देलक अछि। बी.डी.ओ. मिथिलेश प्रसाद कहलनि जे, पूर्व पंचायत सेवक विनय लाल दासक लापरवाही स पंचायत मे समस्या उत्पन्न भेल अछि। हुनका पर कार्यबाई कायल जा रहल अछि। नव पंचायत सेवक के राशि अबितहि वितरण करबाक आदेश देल गेल अछि।