19 मई 2016कऽ मिथिला मिरर बता देने छल कि मनोज तिवारी हेताह दिल्ली भाजपाक अध्यक्ष

    0
    320

    दिल्ली,मिथिला मिरर-शिवेश झाः उत्तर पूर्व दिल्ली सं भाजपा सं सांसद आ भोजपुरी सिनेमाक स्थापित गायक सह अभिनेता मनोज तिवारी कें दिल्ली प्रदेश भाजपाक अध्यक्ष बनाओल गेल। मनोज तिवारी वर्तमान अध्यक्ष सतीश उपाध्यायकें जगह पर नव अध्यक्ष बनाओल गेलाह अछि। मिथिला मिरर कें संपादक ललित नारायण झा अहि खबैरकें 19 मई 2016 कऽ खुलास कऽ चुकल छलाह। बीजेपीक सूत्र सं भेटल जानकारीक बाद इ पकिया खबैर छल जे मनोज तिवारी अगिला दिल्ली बीजेपीक अध्यक्ष हेताह।
    मिथिला मिररकें अहि खबैर कें बहुत गोटे प्रशंसा सेहो केने छलाह और बहुत गोटे अहि खबैर पर प्रश्नचिन्ह सेहो लगेने छलाह लेकिन एक बेर फेर सं मिथिला मिरर अपन न्यूज आ सूत्रकें सत्यापित करवामे सफल रहल। 19 मई कऽ छापल गेल न्यूज आ हालहि मनोज तिवारीक संग मिथिला मिररक संपादकक कैल गेल वीडियो साक्षात्कारकें लिक दए रहल छी।

    http://www.mithilamirror.com/mp-manoj-tiwari-may-be-the-next-president-of-delhi-bjp/