मनोज तिवारी दिल्ली आ नित्यानंद राय बिहार भाजपाक अध्यक्ष बनाओल गेलाह

    0
    281

    दिल्ली, मिथिला मिरर-शिवेश झा: भारतीय जनता पार्टी अप्पन दिल्ली आ बिहारक प्रदेश अध्यक्ष के बदलि देलक अछि। दिल्ली मे सतीश उपाध्याय के कार्यकाल समाप्त भेला पर भाजपा मनोज तिवारी के प्रदेश अध्यक्षक जिम्मा देलक अछि जहन कि बिहार मे मंगल पांडे के जगह नित्यानंद राय के अध्यक्ष बनाओल गेलाह। मनोज तिवारी भोजपुरी फिल्मक स्टार रहि चुकल छथि आ वर्तमान में उत्तर-पूर्वी दिल्ली सं भाजपा सांसद छथि। कयास लगाओल जा रहल अछि जे, पार्टी पूर्वांचल आ बिहारक वोटर पर पकड़ बनेबाक कोशिश के तहत तिवारी के प्रदेश अध्यक्ष बनौलक अछि।

    बताओल जा रहल अछि जे, पूर्वांचल आ बिहारक मतदाता विधानसभा चुनाव मे पैघ स्तर पर आम आदमी पार्टी के पक्ष मे मतदान केने छल। तिवारी जाहि सीट स सांसद छथि ओतय सेहो पूर्वांचल आ बिहारक पैघ जनसंख्या बसैत अछि। ओतहि, नित्यानंद राय उजियारपुर संसदीय सीट सं चुनाव जीतकय लोकसभा मे पहुंचल छथि। ओ अहि सं पहिने 2000, फरवरी 2005, अक्टूबर 2005 आ 2010 मे लगातार हाजीपुर विधानसभा सीट सं चुनाव जीतल छथि।