फिल्म अभिनेता नरेन्द्र झाकें मातृशोक, दिवंगत आत्माकें मिथिला मिररक श्रद्धांजलि

    0
    295

    कोलकाता,मिथिला मिरर-सुजीत कुमार झाः बाॅलिवुडक चर्चित फिल्म अभिनेता आ मैथिलपुत्र नेरन्द्र झा केर माता जी सुशीला देवीक शनिदिन भोरे लगभग साढ़े चारि बजे हुनकर पैतृक गांव मधुबनी जिलाक कोइलख गाम मे निधन भए गेलनि, ओ 85 बरखक छलीह आ पैछला किछु समय सं बेमार चलि रहल छलथि। हुनक अंतिम संस्कार शनिदिन भोरे हुनक पैतृक गाममे पूर्व वैदिक विधि-विधान पूर्वक संपन्न भेलनि।
    अहि बातक जानकारी स्वयं नरेन्द्र झा मिथिला मिरर कें संपादक ललित नारायण झा कें देलनि। अहि खबैरक बाद गाम-घर सहित समस्त परिचित आ कुटुम्बमे शोक पसरल अछि। दिवंगत आत्मा अपना पाछा अपन पति शुभ नारायण झा (91 बरख) आ पांच गोट बेटा-बेटी जाहिमे योग नारायण झा, शेष नारायण झा, डाॅ. अमरेन्द्र नारायण झा, अभिनेता नरेन्द्र नारायण झा आ पुत्री पुष्पा मिश्राकें संग-संग पूरा भरल पूरल परिवारकें अपना पाछा छोड़ि कए गेलिह अछि।
    अहि घटनाक बाद शोकाकुल परिवारकें प्रति बहुत रास लोक अपन संवेदना प्रकट कैलनि अछि जाहिमे डाॅ. बीरबल झा, भगवान झा, अशोक झा मिथिला विकास परिषद् कोलकाता, अमित कुमार झा, सहित राजन कपूर आ बहुत रास लोक दिवंगत आत्माक शांतिक कामना कैलनि अछि। दुःखक अहि क्षणमे संग हरवाक लेल अभिनेता नरेन्द्र आ आ हुनक पत्नी पंकजा ठाकुर झा सब शुभचिंतक लोकनिक प्रति अपन आभार प्रकट कैलनि अछि।