नेपालक पांच टा कुख्यात उग्रवादी गिरफ्तार, हथियार बरामद

    0
    257

    सुपौल, मिथिला मिरर: बिहार के सुपौल मे पुलिस के एकटा पैघ सफलता भेटल अछि। सुपौल जिला के पुलिस पांचटा एहेन कुख्यात अपराधी के गिरफ्तार केलक अछि, जाहि मे सं किछु न्यायालय हाजत तोडि कय भागि चुकल अछि त किछु लोकक हत्या कय चुकल अछि।

    एसपी डॉ कुमार ऐकले के अनुसार गठित एसआईटी के टीम अहि पांचो अपराधी के गिरफ्तार केलक अचगही। पकड़ल गेल अपराधी नेपालक उग्रवादी संगठन के सक्रिय सदस्य बताओल जा रहल अछि।अपराधी के संग सं पुलिस दू टा देसी कट्टा, आठ टा कारतूस, चारि टा मोबाइल फोन बरामद केलक अछि। एकर अलावा आपराधिक घटना मे उपयोगी नैनो कार आ मोटरसाइकिल सेहो जब्द केलक अछि।

    अहि अपराधी के खिलाफ पुलिस थाना मे प्राथमिकी दर्ज कायल गेल अछि। पुलिसक स्पेशल टीम मे निर्मली, कुनौली, त्रिवेणीगंज, राघोपुर, डगमारा, रतनपुर सहित बहुतो थाना क्षेत्रक पुलिस सामिल छल।गठित टीम एखनहु बहुतो इलाका मे सघन छापेमारी अभियान चला रहल अछि।