विद्यापतिधाममे रेलवे पटरी पर भेटल महिलाक लहास

    0
    303

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: पूर्व मध्य रेलवे हाजीपुर-बछवाड़ा रेलखंड स्थित विद्यापतिधाम रेलवे स्टेशन सं पश्चिम 10 नंबर ढालाक समीप रेलवे ट्रैक पर मंगलदिन भोरमे एकटा 25 वर्षीय अज्ञात महिलाक लहास भेटबाक सनसनीखेज मामला प्रकाशमे आएल अछि। महिलाक सिर धड़ सं अलग छल आ दुनू हाथ कपड़ा सं बान्हल छल।

    हाथ बान्हल हेबा आ शरीर निर्वस्त्र हेबाक कारण लोकक आशंका अछि जे, सामुहिक दुष्कर्मक घटनाकें अंजाम दए साक्ष्य नुकएबाक नीयत सं महिलाकें रेल ट्रैक पर देल गेल। ई घटना ओहि समय प्रकाशमे आएल जहन हाजीपुर दिस सं जा रहल पार्सल ट्रेन ओतए अचानक रुकल। ट्रेन सं उतरिकय रेल कर्मी लहासकें रेल ट्रैक सं बाहर हटेलक। लहास देखबाक बाद जुटल भीड़ जीआरपी बछवाड़ाकें अहि बातक जानकारी देलक।