24 साल सं निर्माणक बाट जोहि रहल बेनीपट्टीक अनुमंडलीय अस्पताल

    0
    301

    मधुबनी, मिथिला मिरर: बेनीपट्टीमे अनुमंडलीय अस्पतालक शिलान्यासकें 24 वर्ष बीत गेलाक बादो निर्माण काज शुरू नहि भेल अछि। ज्ञात हो कि बेनीपट्टी अनुमंडल कार्यालय परिसरमे तत्कालीन मुख्यमंत्री लालू प्रसाद यादव 20 फरवरी 1993 कए अनुमंडलीय अस्पतालक शिलान्यास केने छलाह। शिलान्यास के 24 वर्ष बीतलाक बादो अनुमंडलीय अस्पतालक निर्माण सपना बनल अछि।

    अनुमंडलीय अस्पतालक शिलापट्ट क्षतिग्रस्त भए टूटि चुकल अछि, संगहि आब शिलापट्ट महज शोभाक वस्तु बनिकय रहि गेल अछि। बेनीपट्टीकें वर्ष 1982 ई. मे अनुमंडलक दर्जा भेटल छल, मुदा अनुमंडल बनलाक 34 वर्ष बादो बेनीपट्टीमे अनुमंडलीय अस्पतालक निर्माण नहि भेल अछि।

    अनुमंडलीय अस्पतालक नहि रहलाक कारण संसाधनके अभावमे बीमार मरीजकें मधुबनी एवं दरभंगा रेफर कएल जा रहल अछि। अनुमंडलीय अस्पतालक निर्माणके नाम पर राजनेता द्वारा कएल गेल घोषणा धरातल पर महज छलावा साबित भए रहल अछि।