‘निश्चय यात्रा’ पर समस्तीपुर पहुँचलाह मुख्यमंत्री

    0
    268

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: निश्चय यात्राक दोसर चरण के अंतिम दौर मे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार बृहस्पति दिन साँझ मे समस्तीपुर पहुँचलाह। मुख्यमंत्री परिसदन मे किछु पार्टी नेता सं भेंट कय रात्रि विश्राम करताह।

    शुक्रदिन भोर मे दस बजे जितवारपुर स्थित जिला निबंधन सह परामर्श केंद्रक निरीक्षण कय मुख्यमंत्री हेलीकाप्टर स वारिसनगर प्रखंड मुख्यालय पहुंचताह। अहि के बाद ओ सड़क मार्ग स गोही गाम मे पंचायत सरकार भवन, कौशल विकास केंद्र आ आरटीपीएस केंद्रक निरीक्षण करताह। टकरा बाद मुख्यमंत्री हेलीकॉप्टर स पूसा प्रखंड के मोहम्मदपुर कोवांरी गाम जेताह।

    मुख्यमंत्री समस्तीपुर जिला मुख्यालय के पटेल मैदान मे चेतना सभा के संबोधित करताह आ साँझ मे समाहरणालय मे अधिकारीक संग समीक्षा बैसक करताह। जिला प्रशासन मुख्यमंत्री के अहि व्यस्त कार्यक्रम मे पुख्ता सुरक्षा व्यवस्था मुहैया करेबाक उद्देश्य स तैयारी कय लेने अछि।