डेंगू’क चपेट मे मुजफ्फरपुर के सिकंदरपुर मोहल्ला

    0
    293
    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: मुजफ्फरपुर जिलाक सिकंदरपुर मोहल्ला एखन पूर्ण रुपे डेंगूक चपेट मे अछि। एतय दस सं अधिक गोटे डेंगू सं पीड़ित छथि। फाॅगिंग के बावजूद एतय डेंगूक कहर लगातार बढिए रहल अछि। अहि मोहल्ला मे आयुर्वेद के डॉक्टर चंद्रशेखर मिश्राक परिवार मे चारि गोटे डेंगू स पीड़ित अछि। चंद्रशेखर मिश्रक बेटा अजय कुमार, भाई कैलाश चंद्र, राकेश कुमार तथा भाउज मीना देवीक इलाज चलि रहल अछि। अहि के अलावा मोहल्ला मे छह अन्य डेंगू स पीड़ित छथि। एसपी कोठी के सामने, द्वारिकापुरी विवाह भवन के समीप तथा सिकंदरपुर रोड मे अहि बीमारीक प्रकोप अधिक अछि।
    मोहल्ला वासी के कहब अछि जे, एतय सफाई नहि होइत अछि। नाली सं पानी नहि निकलैत अछि। मोहल्ला मे डेंगूक प्रकोप स लोक डरी रहल अछि। डॉ चंद्रशेखर मिश्रा कहैत छथि जे, सबस अधिक चिंता बच्चाक अछि। मच्छर स बच्चा के कोना बचायल जाए।