टेम्पू चालक बिगाड़ि रहल अछि दरभंगा शहरक ट्रैफिक व्यवस्था

    0
    540
    दरभंगा, मिथिला मिरर: दरभंगा नगरक यातायात व्यवस्था पर टेम्पू चालकक मनमानी भारी पड़ि रहल अछि। गाड़ि के लगातार बढ़ि रहल संख्या, सिकुडैत सड़क, अकुशल चालक, यात्रिक गाड़ी पर चढ़ेबाक होड़ व्यवस्था के एकदम सं बदरंग कय देलक अछि। सब ठाम चालकक मनमानी के तसवीर आम अछि। नगर मे सड़क दुर्घटनाक अधिकांश कारण लापरवाही स टेम्पू संचालन बनि रहल अछि।
    गाड़िक अधिक संख्या के कारण सवारी चढ़ेबाक लेल चालक मे मारामारी रहैत अछि। सड़क कात मे जतय यात्री हाथ देखेलक ओतय सं गुजरैत बहुत रास टेम्पू यात्री के घेर लेत अछि। अहि क्रम मे इहो देखल जाइत अछि जे, गाड़ी के कात मे रोकी दैत अछि जाहि सं पाछु सं तेज रफ्तार मे आबय वला अन्य गाडी दुर्घटनाक शिकार होईत रहैत अछि। जहन कोनो मामला फँसैत अछि त सब ऑटो चालक एक सुर मे बाजय लगैत अछि।
    करीब छह किलोमीटर के दूरीक लेल प्रशासन 15 रुपैया किराया तय केने अछि। सीधा जाय वला सं त करीब एतबे रुपैया लेल जाइत अछि। मुदा बीच मे उतरय वला यात्री सं चालक मनमाना भाड़ा वसूल करैत अछि। दरभंगा स्टेशन स दरभंगा बस स्टेंडक दूरी करीब दू किलोमीटर अछि। अहि बीच मे यात्रा करय वला सं 10 स 15 रुपैया वसूलल जाइत अछि।