मुजफ्फरपुर कलेक्ट्रेट परिसर मे दुष्कर्मक आरोपी के पीटलक महिला

    0
    297

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: जिला कलेक्ट्रेट परिसर मे मंगलदिन दुपहर मे एकटा महिला दुष्कर्मक आरोपित के चप्पल सं पीट देलक। स्थानीय लोक बीच-बचाव कय मामला के शांत करौलक। अहि बीच लोक अहि बातक सूचना नगर पुलिस के देलक। पुलिस के पहुंचला सं पहिने सब मौका सं फरार भय गेल। जानकारी के अनुसार, समस्तीपुरक रहय वाली एकटा अधेड़क पत्नी संग दुष्कर्म कायल गेल छल।

    मामला मे आरोपित रामप्रवेश काफी दिन स फरार चलि रहल छल। मंगलदिन पीड़ित महिला पति के संग पुलिसक वरिष्ठ अधिकारी सं आरोपित के गिरफ्तारीक गुहार लगेबाक लेल आयल छल। ताहि बीच पीड़िताक रामप्रवेश पर नजरि पड़ि गेल।
    आरोपी महिला के देखि कय बाइक स भागय लागल। अहि के बाद महिला आरोपी के के खदेड़ कय एसडीओ कार्यालय के समीप पकड़ि लेलक। पहिने चप्पल स जमि कय पिटायी केलाक बाद महिला जोर-जोर स बाजि रहल छली ई रेपक आरोपित अछि।
    अहिबीच आरोपित के संग मौजूद महिला आरोपी के भागा देलक आ खुद पीड़िता स उलझि गेल। हालांकि, पुलिस के एबा सं पहिने दूनू फरार भय गेल। कलेक्ट्रेट परिसर मे करीब बीस मिनट तक चलल हाइवोल्टेज ड्रामा लोकक बीच चर्चाक विषय बनल रहल।