बाल बाल बचलाह कृषि मंत्री प्रेम कुमार, राजद समर्थक कएलनि जानलेवा हमला

0
625

पटना, मिथिला मिरर : एकटा पैघ खबरि भेँट रहल अछि बिहार केँ औरंगाबाद सँ जतय बिहारक कृषि मंत्री प्रेम कुमार पर हमला कएल गेल अछि। घटना औरंगाबाद जिलाक बंदेया थाना क्षेत्रक चपरा गाम मे मंगलदिन सांझ केँ बताओल जा रहल अछि। खबरि केँ मुताबिक एकटा कथित राजनीतिक पार्टीक समर्थक लोकनि राज्यक कृषि-पशु व मत्स्य संसाधन मंत्री डॉ प्रेम कुमार आ स्थानीय विधायक मनोज शर्मा पर जानलेवा हमला करबाक प्रयास कएलनि। भेट रहल जानकारी केँ अनुसार मंत्री आ विधायक केँ सुरक्षा मे तैनात सुरक्षाकर्मी लोकनि एही साजिस केँ नाकाम क’ देलनि। घटना करीब पाँच बजे साँझ केँ बताओल जा रहल अछि।

दरअसल मंत्री प्रेम कुमार आ स्थानीय विधायक क्षेत्र मे सथानीय ग्रामीण आओर कार्यकर्ता लोकनिक आग्रह पर चपरा गाम मे जनसंपर्क लेल गेल छलाह। चुनावी समय अछि तै ओ एकटा सभा केँ संबोधित क’ रहल छलाह। तखने करीब 20-25 केँ संख्या मे राष्ट्रीय जनता दल केँ कथित कार्यकर्ता आ समर्थक लोकनि अचानक जानलेवा हमला करबाक का प्रयास कएलनि। मुदा सुरक्षाकर्मी आ पुलिस केँ तत्परताक कारण ओ बाल-बाल बचि गेलाह।

मंत्री आरोप लगबैत कहलाह जे हमलावर राजद केँ पक्ष मे नारा लगा रहल छल। मंत्री कहलनि सरकार केँ द्वारा कएल गेल विकास कार्य सँ विपक्ष हताश अछि। आबि रहल चुनाव केँ दौरान हारि देख निराशा मे एहन तरहक कदम उठा रहल अछि। मंत्री कहलनि जे कथित राजद कार्यकर्ता आ समर्थक लोकनि ग्रामीण क्षेत्र मे एही तरहक काज क’ राज्यक विधि व्यवस्थाक स्थिति केँ बिगाड़बाक प्रयास क’ रहल छथि। मुदा राज्य सरकार आ पुलिस एहन कोनो तरहक घटना केँ सफल नहि होमय देत। आम जनता एनडीए केँ अपन समर्थन द’ रहल अछि जाहि कारण ई सभ बौखला गेल छथि। लोकतंत्र मे सभके अपन बात रखबाक अधिकार छैक मुदा हिंसा केँ तरीका किन्न्हूँ उचित नहि कहल जा सकैछ।

डॉ कुमार साफ कहलनि अछि जे एही तरहक घटना सँ कियो डरय वला नै अछि। मतदाता अपन वोट केँ माध्यम सँ हिनका सभके माकुल जबाब देत। एम्हर पुलिस अधीक्षक सुधीर कुमार पोरिका कहलनि जे सूचना भेटल अछि जे मंत्री केँ कार्यक्रम मे किछु लोक उपद्रवी  घटना कएलनि अछि। थानाध्यक्ष सँ पूरा घटना के बारे मे जानकारी लेल गेल अछि। जँ  कोनो तरहक शिकायत दर्ज कराओल जायत त’ निश्चित रुपेँ कार्रवाई कएल जायत। ओना पूरा मामला केँ जाँच कएल जा रहल अछि। तकरा बादे स्थिति स्पष्ट भ’ सकत।