रालोसपा मे दू फाड़, उपेंद्र कुशवाहा के हटा अरुण कुमार बनलाह राष्ट्रीय अध्यक्ष

    0
    263

    पटना, मिथिला मिरर: रालोसपा मे चलि रहल अन्तर्कलह के बाद आखिरकार बुधदिन पार्टी के विभाजन भय गेल। पटना मे आयोजित एकटा कार्यक्रम मे पार्टीक पूर्व बिहार प्रदेश अध्यक्ष आ जहानाबादक सांसद डॉ अरुण कुमारक गुट उपेंद्र कुशवाहा के राष्ट्रीय अध्यक्ष केर पद स मुक्त कय देलक, संगहि सांसद अरुण कुमार के पार्टीक नव राष्ट्रीय अध्यक्ष घोषित कायल गेल।

    पटना मे भय रहल अहि कार्यक्रम मे अरुण कुमार गुटक समर्थकक मौजूदगी मे ई फैसला लेल गेल।कार्यक्रम मे अरुण कुमार समेत बहुतो नेता उपेंद्र कुशवाहाक कार्यशैली पर सवाल उठौलनि। गौरतलब अछि जे किछु दिन पहिनहि पार्टीक राष्ट्रीय अध्यक्ष उपेंद्र कुशवाहा अरुण कुमार के बिहार रालोसपाक अध्यक्ष पद स हटा देने छलाह। संगहि पार्टीक प्रदेश कार्यकारिणी के सेहो भंग कय देने छलाह।

    ज्ञात हो कि रालोसपा फिलहाल केंद्र मे एनडीए सरकारक घटक दल अछि आ पार्टीक पूर्व राष्ट्रीय अध्यक्ष उपेंद्र कुशवाहा मोदी सरकार मे राज्य मंत्रीक पद पर आशिन छथि। जहन कि पार्टी के बिहार मे दू गोट विधायक और तीन गोट सांसद अछि।