जल्दिए काज केनाइ बंद क’ देत एटीएम कार्ड

0
690

पटना/दिल्ली, मिथिला मिरर : जँ अहाँ मैग्नेटिक स्ट्राइप एटीएम आ क्रेडिट कार्डक इस्तेमाल करैत छी त’ भ’ जाऊ सावधान। अहाँ सभकेँ हर हालमे 31 दिसंबर 2018सँ पहिने ईएमवी चिप बेस्ड कार्डसँ बदलनाइ जरूरी अछि नै त’, अहाँक कार्डकेँ ब्लॉक कएल जा सकैत अछि। सभ मैगास्ट्राइप कार्ड 31 दिसंबर 2018 केँ बाद काज केनाइ बंद क’ देत। जानकारी लेल  बतादी जे ईएमवी चिप कार्डकेँ डेबिट वा क्रेडिट कार्डसँ होई वला फ्रॉडसँ रोकबाक लेल इ प्रावधान कएल गेल अछि। आरबीआईकेँ दिशानिर्देशक मुताबिक मैगस्ट्राइप कार्डकेँ वर्ष 2018 तक ईएमवी चिप कार्डसँ बदलय पड़त, कएक त’ मैगस्ट्राइप कार्डक वैलिडिटी एतबे दिन धरि अछि। चूंकि मैगस्ट्राइप कार्ड कार्ड-स्किमिंग, कार्ड क्लोनिंग जेहन धोखाधड़ीकेँ मुख्य वजह बनि रहल छल। ईएमवी चिप बेस्ड कार्डसँ एहि तरहक धोखाधड़ीसँ बचल जा सकैत अछि, एहन उम्मीद कएल जा रहल अछि ।

नया चिप वाला एटीएम कार्ड फ्रॉडसँ बचबामे कारगर सिद्ध भ’ सकैत अछि। जँ अहाँ लग  पुरना डेबिट कार्ड अछि त’ अपन बैंक ब्रांचमे जा अपन कार्ड बदलि लि बैंक अहाँकेँ लगातार मैसेज करैत हैत। बैंककेँ तरफसँ देल गेल जानकारीकेँ मुताबिक नया कार्ड लेल कोनो ग्राहकसँ कोनो शुल्क नै देबय पड़त। ग्राहक ईएमवी कार्ड लेल अपन बैंकक होम ब्रांच जा सकैत छथि वा इंटरनेट बैंकिंगकेँ जरिए सेहो कार्ड बदलबा लेल आवेदन क’ सकैत छथि।

किएक बंद भ’ रहल अछि पुरान कार्ड

जानकारी लेल बतादी जे पुरान एटीएम आ क्रेडिट कार्डक पाँछा दिस कारी पट्टी होइत अछि। वैह कारी पट्टी मैग्नेटिक स्ट्रिप होइत अछि, जाहिमे अहाँक खाताक सभ जानकारी दर्ज होइत अछि। आरबीआईकेँ मुताबिक मैग्नेटिक स्ट्रिप कार्ड आब पुरान टेक्नोलॉजी भ’ चुकल अछि आ एहि कार्डक निर्माण सेहो बंद क’ देल गेल अछि। ई कार्ड पूर्ण रुपें सुरक्षित नै अछि, जाहि कारण एकरा बंद कएल जा रहल अछि।

केना मालूम होयत जे अहाँक कार्ड मैगस्ट्रिप कार्ड अछि। जँ मालूम करबाक अछि त’ अपन कार्डकेँ पाँछा पलटि क’ देखू जँ अहाँक कार्डमे कारी पट्टी अछि वा कोनो चिप नै लागल अछि त’ मैगस्ट्रिप कार्ड अछि। जँ अहाँक कार्डमे बांया भाग चिप लागल अछि त’ ओ कार्ड ईएमवी चिप डेबिट कार्ड अछि।