पाकिस्तान अखनो अपन करनीसँ बाज नै आबि रहल, एलओसी पर फेर केलक सीजफायर उल्लंघन

0
368

दिल्ली, मिथिला मिरर : पुलवामा हमलाकेँ बाद भारतीय वायुसेना पाकिस्तानकेँ अंदर घुसि क’ 6 आतंकी कैंपकेँ तबाह क’ देलक। जाहिकेँ बाद पाकिस्तान बौखला गेल अछि। पाकिस्तान एलओसी पर फायरिंग शुरू क’ देलक अछि जाहिसँ युद्धक हालात बनि गेल अछि। पाकिस्तान एक संगे कतेको जगह सीजफायरकेँ उल्लंघन केलक अछि, जाहिमे पुंछक बालाकोट सेक्टर, कृष्णाघाटी सेक्टरकेँ पुंछ, जिला राजौरीक शेर-मकर क्षेत्र, नौशेरा सेक्टर राजौरी आ कनाचक साम्बीमे फायरिंग केलक अछि। ओतहि भारतीय सेनाक जवाबी कार्रवाईमे एकटा पाक सैनिककेँ मारी देलक अछि। जानकारीकेँ मुताबिक, पाकिस्तान राजौरीकेँ नौशेरा सेक्टरमे सीजफायरकेँ उल्लंघन केलक। एकर बाद ओ बालाकोट सेक्टरकेँ पूंछ आ शेरा मैकरी एरियामे अंधाधुंध फायरिंग शुरू क’ देलक,  जकर मुँहतोड़ जबाब भारतीय सेना द’ रहल अछि। आतंकी कैंप पर भेल हमलाक बाद पाकिस्तानकेँ विदेश मंत्री महमूद कुरैशी सेहो भारतकेँ खिलाफ एक्शनक बात कहि रहल अछि। हालाँकि पाकिस्तानी मंत्रीकेँ कहब अछि जे जाहि जगह पर भारत बम खसेलक अछि, ओ मात्र जंगल अछि।

समाचार एजेंसी एएनआई किछु तस्वीर जारी केलक, जतय भारतीय वायुसेना द्वारा एयर स्ट्राइक कएल गेल। बताओल जा रहल अछि जे ई फोटो हमलासँ पहिनेकेँ अछि आ एकरे निशाना बनबैत मिराज 2000 भोरुकवा साढ़े 3 बजे ग्वालियर आ आगरासँ उड़ान भरलक आ एकरा अंजाम धरि पहुँचेलक। फोटोमे साफ देखा रहल अछि जे किछु देशक झंडा सड़क पर बनाओल गेल अछि। आतंकी एहि झंडा पर चलैत छल। चारीटा आतंकवादिक फोटो सेहो जारी केलक जाहिमे आतंकी मसूद अजहरक भाई तलहा सैफ त’ दोसर आतंकी मौलाना अम्मार अछि, जे अफगानिस्तान आ कश्मीरमे आतंकी घटनाकेँ अंजाम दैत रहल अछि। संगे बालाकोट हमलामे भारत IC-814 विमान हाईजैक करय वला सेहो निशाना पर बनल। जानकारीकेँ मुताबिक, मुफ्ती अजहर खान कश्मीरी आ इब्रसहिम अहजर जेकि मसूद अजहरक पैघ भैयारी छल ओकरो मारी देल गेल।  बतादी जे आई भोर साढ़े 3 बजे भारतीय वायुसेना पाकिस्तानमे घुसि क’ एक हजार किलो बम खसेने छल। हालाँकि पाकिस्तानकेँ तरफसँ मात्र इ कहल जा रहल अछि जे भारतीय विमान 3 सँ 4 किलोमीटर अंदर मात्र घुसल छल आ वापिस चलि गेल। लेकिन मिराज 2000 क स्पीड स्वयं पाकिस्तानक सभ दावाकेँ पोल खोलि रहल अछि। मिराज 2000 क अधिकतम रफ्तार 2,000 किलोमीटर प्रति घंटा अछि, जकर सीधा मतलब ई भेल जे विमान एलओसीसँ बालाकोट मात्र 60 किलोमीटर दूर अछि आ एतय तक पहुँचबामे मात्र 2 मिनटकेँ समय लागत।