शहीद नरेश यादवक परिजन सं भेंट करबाक लेल अहिला गाम पहुँचलाह कीर्ति आजाद

    0
    528

    दरभंगा, मिथिला मिरर: दरभंगा सं सांसद कीर्ति आजाद नक्सलीकें खिलाफ ठोस करवाई करबामे केंद्र सरकार आ छत्तीसगढ़ सरकारकेँ विफल बतेलनि अछि। सांसद शहीद नरेश यादवकेँ परिजन सं भेंट करबाक लेल अहिला गाम पहुँचल छलाह। कीर्ति आजाद शहीदक परिजनकें 20 लाख रुपैयाक सहायता राशि दिएबाक लेल नितीश कुमारक हस्तक्षेपक सेहो अनुरोध केलनि अछि। ओ कहलनि जे, 5 लेखक सहायता राशि अपर्याप्त अछि। सांसद अपन ऐच्छिक कोष सं शहीद नरेश द्वारि बनेबाक घोषणा केलनि।

     सांसद पाकिस्तानक रवैया पर भारतीय सैनिककेँ निर्मम हत्याक विरोधमे केंद्र सरकार सं आर-पारक लड़ाई लड़बाक अपील केलनि। आंतरिक सुरक्षाकें मामलामे सेहो सांसद सरकारक नीति पर प्रश्न चिन्ह लगेलनि। कीर्ति आजाद शहीद सैनिक आ अर्धसैनिक बलकें जवानक परिजनकेँ लेल 5 हजार करोड़ रुपैयाक विशेष निधि बनेबाक मांग केलनि।