सहरसा, मिथिला मिरर: सहरसाक बड़गांव गाम निवासी प्रख्यात कवि चन्दा झा के अवतरण तिथि के मौका पर रविदिन कविवर चंदा झा विचार सह सेवा मंच द्वारा विचार गोष्ठी कवि सम्मेलन एवं सांस्कृतिक कार्यक्रमक आयोजन कायल गेल। कार्यक्रमक शुरुआत मे 11 प्रकांड पंडित द्वारा स्तुति वाचन के संग दीप प्रज्ज्वलित कायल गेल। कार्यक्रमक अध्यक्षता ओंकारनाथ झा तथा संचालन अरविन्द नीरज द्वारा कायल गेल।
अहि मौका पर ई. आशुतोष झा कहलनि जे, कविवर चंदा झा के मैथिली मे आधुनिक साहित्यिक प्रवर्तक के रूप मे जानल जाईत अछि। ओतहि, डॉ. रामचैतन्य धीरज कहलनि जे, कविवर चन्दा झा’क रचना विविध विश्वविद्यालय मे पढ़ाओल जा रहल अछि। तीर्थे नन्दन कहलनि जे, ओ मैथिलीये टा नहि बल्कि संस्कृत साहित्य के प्रकांड पंडित छलह। एहेन महापुरुष आजुक पीढ़ी लेल प्रेरणादायक छथि।
डॉ. मिथिलेश मिश्र, डॉ. कमल मोहन चुन्नु, नवल, शैलेन्द्र शैली, रमण झा, शत्रुघ्न चौधरी, जितेन्द्र मिश्र, स्वाती शाकम्भरी, आनंद, अशोक कुमार वर्मा जदयू युवा जिलाध्यक्ष सोहन झा सेहो चंदा झा के विषय मे वक्तव्य देलनि। कार्यक्रम के सफल बनेबाक लेल चन्द्रशेखर झा, प्रभात रंजन झा, राजेश रंजन झा, मुकेश कुमार मानष, अविनाश खां, भीम शंकर झा, मुरारी मयंक, पटू झा, मनमोदी झा, सुन्दर कांत झा, घुपचुप, विपुल सहित अन्य लोकक अहम भागीदारी रहल।