संगीत उत्सव मे सूर लहरी पर भाव-विभोर भेलाह श्रोता

    0
    386

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय के स्रातकोत्तर संगीत एवं नाट्य विभाग मे सृजन-श्रृष्टि के तत्वावधान मे दरभंगा संगीत उत्सवक आयोजन कायल गेल। अहि मौक़ा पर अतिथि एवं स्थानीय कलाकर शास्त्रीय संगीतक प्रस्तुति दय उपस्थित श्रोता के भाव-विभोर कय देलनि। कोलकाता सं आयल अंजना कुमारी राग मधुमतिक विलम्बित आ द्रुत प्रस्तुति के संग-संग ठुमरीक गायन सेहो केलनि।

    स्थानीय पंडित हरिद्वार प्रसाद खंडेलवाल राग यमन, राग देशक प्रस्तुति देलनि। अहि के संग हारमोनियम पर मनीष कुमार खंडेलवाल, तबला पर सुब्रोतो राय आ सारंगी पर उमेश मिश्र संगत देलनि। डॉ. चित्रा कुमारी राग हंसध्वनि मे विलम्बित बंदन कय प्रथम गणेशक प्रस्तुति कय लोकक मोन मोहि लेलनि।

    कार्यक्रमक प्रारंभ कुमारी अन्नपूर्णा, पूजा कुमारी आ भारती कुमारी के समवेत स्वर सं भेल। अतिथीक स्वागत विभागाध्यक्ष डॉ. पुष्पम नारायण, संचालन सागर कुमार सिंह आ धन्यवाद ज्ञापन रवि रंजन केलनि।