बिहार के शराबबंदी कानून मे बदलाव संभव

    0
    262

    पटना, मिथिला मिरर: शराबबंदी कानून के लय क बिहार मे पैघ बदलाव आबि सकैत अछि। सूत्रक अनुसार मुख्यमंत्री नितीश कुमार शराबबंदी कानूनक समीक्षाक लेल जलील मस्तान के संग बैसक केलनि।

    ताजा जारी विज्ञापन मे सेहो सरकार जनता सं सुझाव मांगने छल। ज्ञात हो कि शराबबंदी मे सजा के कम करब आ परिवार के बालिग़ सदस्य के गिरफ्तार नहि करबा सहित अन्य बदलाव पर चर्चा भेल। सरकार के जनता दिस सं सेहो फीडबैक प्राप्त भेल अछि। जाहि मे पूरा बिहार शराबबंदी कानूनक स्वागत करैत अछि। मुदा सख्त सजा के प्रावधान जनता के भ्रमक स्थिति मे आनि देने अछि।

    कांग्रेस आ राजद सेहो मुख्यमंत्री नितीश कुमार के शराबबंदी कानून के सख्त प्रावधानक लेल समाजक गरीब तबका मे उपजल भ्रमक स्थिति सं अवगत करेलक अछि। मुख्यमंत्रीआगामी विधानसभा सत्र मे शराबबंदी कानून मे नरमी अनबाक संकेत देलनि अछि।