जिला स्तरीय विद्यालय खेल प्रतियोगिता 23 अगस्तसँ

0
817

मधुबनी, मिथिला मिरर : कला, संस्कृति एवं युवा विभाग आ बिहार राज्य खेल प्राधिकरण, पटनाकेँ  संयुक्त तत्वाधानमे जिला स्तरीय विद्यालय खेल प्रतियोगिता आयोजन समितिक बैठक जिलाधिकारी श्री शीर्षत कपिल अशोकक अध्यक्षतामे समाहरणालयमे संपन्न भेल। एहि बैठकमे  डीएम कहलाह जे जिला स्तरीय विद्यालय खेल प्रतियोगिता 23, 24, 25 अगस्त क’ कएल जाएत। एहि  खेल प्रातियोगतामे बैडमिंटन खेलक आयोजन  नगर भवन, मधुबनीमे , तहिना फुटबॉलक आयोजन  मकसूदा खेल मैदान पंडौलमे  आ अन्य सभ खेल  जेना कुश्ती, कबड्डी, खो-खो, हैण्डबॉल, कराटा, यूथ वॉलीवाल, रणजी क्रिकेट आदि उच्च विद्यालय, पंडौलमे आयोजित कएल जाएत।  अंडर-17 क्रिकेट चारि सितम्बर, अंडर-14 क्रिकेट पांच सितम्बर आ अंडर-19 क्रिकेट छह सितम्बरकेँ उच्च विद्यालय पंडौलमे आयोजित होएत। बैठकमे जिला खेल पदाधिकारी बतेलनि जे जिला स्तरीय खेल प्रतियोगिता 2018-19 केँ  लेल खिलाड़ी  सभक निबंधन हेतु समय 19 अगस्त संध्या 5:00 बजे धरि तक देल गेल अछि। एहि अवधिमे जँ कुनो विद्यालयक निबंधन नहि होइत छनि, त’ एकर सम्पूर्ण जिम्मेवारी विद्यालयकेँ  प्रधानाध्यापक आ शारीरिक शिक्षककेँ  होएत। बैठकमे सिविल सर्जन अमरनाथ झा, डीईओ रामकुमार, शारीरिक शिक्षा उपाधीक्षक विजय कुमार पंडित, महेश्वर प्रसाद सिंह, सुबीर चन्द्र मिश्र, सचिव जिला कबड्डी संघ आ जिला क्रिकेट संघ, जिला टेबुल टेनिस संघ, जिला यूथ संघ, जिला कराटे संघ, जिला बैंडमिंटन संघ, जिला फुटबॉल संघ आदिकेँ  प्रतिनिधि लोकनि सेहो उपस्थित छलाह ।