जिला लीगमे मैन ऑफ द मैचसँ सम्मानित भेलाह विशाल

0
1320
मधुबनी, मिथिला मिरर : वृहस्पतिदिन यानि 13 दिसम्बरकेँ जिला लीगमे तेसर मैच राजनगरक राज मैदानमे खेलल गेल जाहिमे डीसीसी नारायण टॉस जीत पहिने बॉलिंग करबाक फैसला केलथि।जवाबमे वाइस सिटी जयनगर पहिने बैटिंग करैत 25 ओवरमे 114 रन बना आउट भ’ गेल। एहिमे पवन सर्वाधिक 43 रनक योगदान देलाह। ओतय जवाबी टीम 50 रन बना क’ 14.1 ओवर मे आउट भ’ गेल। मैन ऑफ द मैच विशालके घोषित कएल गेलनि।