स्वतंत्रता सेनानी, शहीद एक्सप्रेस आ जननायक 15 फरवरी धरि हफ्तामे एक दिन नै चलत

0
3834

दरभंगा, मिथिला मिरर :  धोइन (कोहरा) लगबाकेँ कारण यात्रि सभक सुरक्षा आ संरक्षित रेल परिचालन सुनिश्चित करबाक दृष्टिकोणसँ 13 दिसंबरसँ 15 फरवरी धरि पूर्व मध्य रेलवे हाजीपुरक मुताबिक  9 जोड़ी ट्रेनक परिचालन रद्द कएल गेल अछि, 1 जोड़ी ट्रेनक आंशिक समापन आ 12 जोड़ी मेल/एक्सप्रेस ट्रेनक परिचालनक दिनमे कमी करबाक निर्णय लेल गेल अछि। एहिक तहत दरभंगासँ खुलय बला आ एतयसँ गुजरयबला कतेकोँ ट्रेनक फेरीमे कमी कएल गेल। जाहिमे सबसँ ज्यादा परेशानीक सामना आब पंजाब जाय बला यात्रि सभकेँ उठाबय पड़त किएक त’ पंजाब जाय बला शहीद एक्सप्रेसकेँ रद्द क’ देल गेल आ अमृतसर जाय वाली जन नायक एक्सप्रेसकेँ  आगामी 15 फरवरी धरि हफ्तामे एक दिन रद्द क’ देल गेल अछि। मालूम होयत जे दरभंगासँ पंजाब जायकेँ लेल ज्यादातर मजदूर वर्गक लोक एहि ट्रेनसँ सफर क’ पंजाबक विभिन्न क्षेत्रमे  जाइत छथि।
पूर्व-मध्य रेलवे हाजीपुरक मुताबिक तत्काल प्रभावसँ नौ जोड़ी ट्रेनक परिचालन ठप रहत
एहिकेँ तहत 14673 जयनगर-अमृतसर शहीद एक्सप्रेसकेँ 15 दिसंबरसँ 18 फरवरी तक आ अमृतसरसँ वापिस आबय वालि 14674 अमृतसर-जयनगर 13 दिसंबरसँ 15 फरवरी धरि रद्द रहत। ओतहि दरभंगासँ अमृतसर जाय वाली 15211जन नायक एक्सप्रेसकेँ 15 फरवरी धरि  सभ बुधदिन रद्द रहत आ अमृतसरसँ आबय वालि 15212 एहि ट्रेनकेँ सभ शुक्रदिन रद्द कएल गेल अछि। दरभंगासँ भ’ दिल्ली जाय आ आबय वाली आ स्वतंत्रता सेनानी एक्सप्रेसकेँ हफ्तामे एक दिन रद्द कएल गेल अछि। जयनगरसँ दिल्ली जाय वाली स्वतंत्रता सेनानी एक्सप्रेसकेँ उपरोक्त तिथिकेँ दौरान सभ वृहस्पतिदिन आ दिल्लीसँ आबय वाली एहि ट्रेनकेँ  सभ शुक्रदिन रद्द रहत। पूर्व मध्य रेलवेक मुख्य जनसंपर्क अधिकारी राजेश कुमारकेँ मुताबिक  एहि प्रकारक निर्णय यात्रि सभक सुरक्षा आ संरक्षित रेल परिचालनके देखैत लेल गेल अछि।